उचित बसए मोर मनमथ चोर ! चेरिआ बुढ़िआ करए अगोर ! बारह बरख अवधि कए गेल ! चारि बरख तन्हि गेलाँ भेल ! बास चाहैत होअ पथिकहु लाज ! सासु ननन्द नहि अछए समाज ! सात पाँच घर तन्हि सजि देल ! पिआ देसाँतर आँतर भेल ! पड़ेओस वास जोएनसत भेल ! थाने थाने अवयव सबे गेल ! नुकाबिअ तिमिरक सान्धि ! पड़उसिनि देअए फड़की बान्धि ! मोरा मन हे खनहि खन भाग ! गमन गोपब कत मनमथ जाग !